मिथिलानी न्यूज डेस्क | मधुबनी
दीपावली आ छठ महापर्व शांतिपूर्ण, सुरक्षित आ सौहार्दपूर्ण वातावरणमे संपन्न करयबाक लेल मधुबनी जिला प्रशासन तैयारी तेज क’ देने अछि। एहि क्रममे जिलाधिकारी आनंद शर्मा आ वरीय पुलिस अधीक्षकक उपस्थिति मे समाहरणालय स्थित सभागारमे जिला शांति समितिक बैठक आयोजित कयल गेल। बैठकमे शांति समितिक सदस्य, एसडीएम, एसडीपीओ आ अन्य संबंधित अधिकारी उपस्थित छलाह।
बैठकमे दुनू पर्वक दौरान जिलामे शांति व्यवस्था, सुरक्षा, विधि-व्यवस्था आ आम लोकसभक सुविधासँ जुड़ल विभिन्न मुद्दा पर चर्चा भेल।
प्रेम आ आपसी सद्भावक संग पर्व मनयबाक अपील
बैठककेँ संबोधित करैत डीएम आनंद शर्मा कहलनि जे दीपावली प्रेम, भाईचारा आ प्रकाशक पर्व अछि, जखन कि छठ महापर्व श्रद्धा, भक्ति, पवित्रता आ लोकआस्थाक प्रतीक अछि। दुनू पर्व समाजमे आपसी सद्भाव, मेल-जोल आ सकारात्मकताक संदेश दैत अछि।
ओ जिलावासीक आग्रह कयलनि जे सभ लोक उत्साह आ पारंपरिक उल्लासक संग पर्व मनाबथि आ शांति, सद्भाव आ सुरक्षाक विशेष ध्यान रखथि।
जिलाधिकारी कहलनि जे पर्वक दौरान सभ समुदायकेँ आपसी सहयोग, सम्मान आ भाईचारा बनौने रखबाक चाही। कोनो तरहक अफवाह, भ्रामक सूचना अथवा असामाजिक गतिविधिकेँ बढ़ावा नहि देबाक चाही। ओ शांति समितिक सदस्यसभसँ अपन-अपन क्षेत्रमे लोककेँ जागरूक करबाक आ शांतिपूर्ण वातावरण बनौने रखबाक अपील कयलनि।
संवेदनशील स्थानसभ पर रहत विशेष निगरानी
बैठकमे डीएम शांति समितिक सदस्यसभसँ पर्वक सफल आयोजन लेल सुझाव आ प्रतिक्रिया सेहो लेलनि। सदस्यसभ स्थानीय स्तर पर जरूरी व्यवस्था आ सुरक्षासँ जुड़ल सुझाव देलनि। जिलाधिकारी संबंधित अधिकारीसभकेँ एहि सुझाव पर गंभीरतापूर्वक विचार क’ जरूरी कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि।
दोसर दिस, वरीय पुलिस अधीक्षक कहलनि जे दीपावली आ छठक दौरान शांति आ विधि-व्यवस्था बनौने रखबाक लेल पर्याप्त संख्या मे दंडाधिकारी, पुलिस अधिकारी आ पुलिस बल तैनात कयल जायत। संवेदनशील स्थान आ प्रमुख सार्वजनिक जगहसभ पर विशेष निगरानी राखल जायत। पुलिस प्रशासन पूरा सतर्कता आ तत्परताक संग काज करत, जाहिसँ दुनू पर्व सुरक्षित वातावरणमे संपन्न भ’ सकय।
दीपावलीमे पटाखा जरबैत समय बरतू सावधानी
प्रशासन दीपावलीक अवसर पर लोकसभसँ दीया आ पटाखा सुरक्षित तरीका सँ जरयबाक अपील कयने अछि।
की करू
- दीया आ दीप जरयबाक लेल सुरक्षित जगह चुनू आ ज्वलनशील सामानसँ दूर राखू।
- पटाखा खाली खुलल आ सुरक्षित स्थान पर सावधानीपूर्वक जराउ।
- बच्चासभकेँ पटाखा जरयबाक समय एकसर नहि छोड़ू। बड़का लोकक देखरेखमे आतिशबाजी करय दिअ।
- पटाखा जरबैत समय सूती आ सुरक्षित कपड़ा पहिरू।
- आगिसँ बचाव लेल घरमे पानि, बालू आ प्राथमिक उपचारक व्यवस्था राखू।
- बुजुर्ग, बच्चा, बीमार व्यक्ति आ पशु-पक्षीक सुरक्षाक ध्यान राखू।
- दुर्घटना अथवा आगि लगबाक स्थिति मे तुरंत संबंधित विभागकेँ सूचना दिअ।
की नहि करू
- बंद कमरा, भीड़भाड़वला जगह, सड़क आ पेट्रोल पंपक आसपास पटाखा नहि जराउ।
- हाथमे पकड़ि पटाखा नहि जराउ आ जरैत पटाखाक ऊपर झुकि क’ नहि देखू।
- पटाखाकेँ बिजलीक तार, गैस सिलेंडर आ ज्वलनशील पदार्थक लग नहि राखू।
- बच्चासभकेँ माचिस अथवा लाइटर नहि दिअ।
- सोशल मीडियापर अफवाह अथवा भ्रामक सूचना साझा नहि करू।
- ध्वनि आ वायु प्रदूषण बढ़ेबयवला गतिविधिसँ बचू।
छठ घाट पर सुरक्षा आ स्वच्छताक राखू ध्यान
छठ महापर्वक दौरान श्रद्धालुसभक सुरक्षा लेल प्रशासन घाट पर विशेष सावधानी बरतबाक अपील कयने अछि।
की करू
- प्रशासन द्वारा निर्धारित सुरक्षित आ स्वच्छ स्थान परे पूजा-अर्चना करू।
- घाट पर आबय-जाय लेल निर्धारित रास्ता आ यातायात व्यवस्थाक पालन करू।
- नदी, पोखरि आ आन जलाशयमे स्नान अथवा अर्घ्य दैत समय विशेष सावधानी बरतू।
- बच्चा आ बुजुर्गकेँ जलाशयक लग एकसर नहि छोड़ू।
- गहींर पानिसँ दूर रहू आ प्रशासन द्वारा लगाओल सुरक्षा संकेतक पालन करू।
- घाट पर स्वच्छता बनौने राखू आ पूजाक सामग्री निर्धारित स्थान परे राखू।
- आपात स्थिति मे तैनात दंडाधिकारी, पुलिस अधिकारी अथवा बचाव दलकेँ सूचना दिअ।
- भीड़ नियंत्रण आ सुरक्षा व्यवस्थामे प्रशासनक सहयोग करू।
की नहि करू
- खतरनाक आ बेसी गहींर जलाशयमे प्रवेश नहि करू।
- बैरिकेडिंग आ प्रतिबंधित क्षेत्रकेँ पार नहि करू।
- घाट पर धक्का-मुक्की अथवा अफरा-तफरीक स्थिति नहि बनाउ।
- जलाशयमे प्लास्टिक, कचरा आ पूजाक सामग्री जतय-ततय नहि फेकू।
- बच्चासभकेँ बिना देखरेख पानिक लग नहि जाय दिअ।
- घाट पर आतिशबाजी अथवा जोखिमपूर्ण गतिविधि नहि करू।
- अफवाह पर ध्यान नहि दिअ आ बिना पुष्टि कोनो सूचना नहि फैलाउ।
प्रशासन लोकसभसँ सहयोगक कयलक अपील
जिलाधिकारी आनंद शर्मा जिलावासीसँ दीपावली आ छठ महापर्व आपसी प्रेम, भाईचारा, श्रद्धा आ सामाजिक सद्भावक संग मनयबाक अपील कयलनि। ओ कहलनि जे सुरक्षा आ सुविधाक लेल प्रशासन द्वारा कयल जा रहल व्यवस्थामे सभ लोक सहयोग करथि, जाहिसँ दुनू पर्व जिलामे शांतिपूर्ण, सुरक्षित आ सौहार्दपूर्ण वातावरणमे संपन्न भ’ सकय।
मधुबनी आ मिथिलांचलक स्थानीय खबर, पर्व-त्योहार आ जनसरोकारसँ जुड़ल जानकारी लेल पढ़ैत रहू मिथिलानी।
