मिथिलानी न्यूज डेस्क | दरभंगा
अभाव आ आर्थिक तंगी जँ मनुष्यक हौसला आ इरादाकेँ मजबूत बना दे, तँ सफलता नव इतिहास रचि सकैत अछि। एकर उदाहरण पेश कयने छथि दरभंगा जिलाक कबीरचक निवासी राखी कुमारी। गुजरातक एकतानगर स्थित ‘स्टैच्यू ऑफ यूनिटी’ परिसरमे आयोजित 15 दिवसीय ‘भारत पर्व-2026’क उद्घाटन अवसर पर राखी प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक समक्ष मिथिला चित्रकलाक जीवंत प्रदर्शन कयलनि। हुनकर कला आ आत्मविश्वासक प्रधानमंत्री सराहना कयलनि। एहि उपलब्धिसँ राखी बिहारक मान बढ़ौलनि।
छठी माइक थीम पर बनौलनि पेंटिंग
राखी बतौलनि जे एहि राष्ट्रीय आयोजन लेल हुनका राष्ट्रीय एकताक विषय पर पेंटिंग तैयार करबाक छलनि। एहि तैयारीक कारण दीपावली आ छठ सन महत्वपूर्ण पर्व पर सेहो हुनका अपन घरसँ दूर रहय पड़लनि।
आयोजन स्थल पर पहुँचला पर हुनका जानकारी भेटलनि जे उद्घाटनक दिन प्रधानमंत्रीक समक्ष मात्र तीन-चार घंटाक भीतर लाइव पेंटिंग बनयबाक अछि।
समयक कमीकेँ देखैत राखी छठी माइक स्मरण कयलनि आ बहुत कम समयमे छठ पर्वक थीम पर एकटा आकर्षक पेंटिंग तैयार कयलनि।
पीएम मोदी रुकि क’ देखलनि राखीक कला
पेंटिंगक अंतिम चरणमे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स्वयं ओतय रुकि राखीक कलाक बारीकीसँ अवलोकन कयलनि आ हुनकर हौसला बढ़ौलनि।
मिथिला कलाक प्रति रुचि देखबैत प्रधानमंत्री राखीसँ पूछलनि जे ‘मिथिला पाग’ बनेबामे कतेक समय लगैत अछि आ धोयलाक बाद एकर रंग फीका पड़ैत अछि कि नहि।
राखी प्रधानमंत्रीक सभ प्रश्नक जवाब पूरा आत्मविश्वासक संग देलनि। एहि अवसर पर पर्यटन विभागक दिससँ राखी द्वारा तैयार पाग-दोपट्टा पहिरा प्रधानमंत्रीक अभिनंदन सेहो कयल गेल।
संघर्षसँ भरल रहल शुरुआती जीवन
राखी कुमारीक शुरुआती जीवन आर्थिक कठिनाइ आ संघर्षक बीच बीतल। हुनकर पिता महेश महतो आरा मशीन पर दैनिक मजदूरी करैत छथि, जखन कि माता गायत्री देवी गृहिणी छथि।
छह भाई-बहिनमे राखी चारिम स्थान पर छथि। ओ वर्ष 2020 मे मैट्रिक आ 2022 मे विज्ञान संकायसँ प्रथम श्रेणीमे इंटरमीडिएट परीक्षा उत्तीर्ण कयलनि।
हुनकर सपना डॉक्टर बनेबाक छलनि, मुदा कोरोना काल आ परिवारक कमजोर आर्थिक स्थितिक कारण मेडिकल कोचिंगक फीस जुटेबा मे असमर्थ रहलीह।
कलाकेँ बनौलनि अपन ताकत
परिस्थितिक आगाँ हारि मानबाक बदला राखी कलाकेँ अपन ताकत बनौलनि। वर्तमानमे ओ एमएलएसएम कॉलेजसँ हिंदी विषयमे स्नातकोत्तरक पढ़ाइ क’ रहल छथि।
हुनकर एहि कलात्मक यात्रामे ‘मैथिल मंच’ आ संस्थापक इंजीनियर मणिभूषण ‘राजू’क महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि।
दिसंबर 2022 मे काजक तलाशक दौरान हुनका मिथिला पेंटिंग सीखबाक सलाह भेटलनि। एकर बाद ओ एहि कलामे निरंतर आगू बढ़ैत गेलीह। आइ ओ देशक कतेको पैघ शहरमे आयोजित प्रदर्शनीमे बिहारक प्रतिनिधित्व क’ चुकल छथि।
दोसर जरूरतमंद बेटीसबकेँ दैत छथि निःशुल्क प्रशिक्षण
आइ राखी अपना कला आ मेहनतक बल पर आत्मनिर्भर बनि चुकल छथि। ओ ‘मैथिल मंच आर्ट स्टोर’क माध्यमसँ निःशुल्क ऑनलाइन आ ऑफलाइन प्रशिक्षण दैत छथि। एहि पहलसँ सैकड़ो जरूरतमंद बेटीसबकेँ कला सीखबाक आ आत्मनिर्भर बनेबाक अवसर भेटि रहल अछि।
हालहिमे ओ दरभंगा सांसद डॉ. गोपालजी ठाकुरक पैतृक गाम पररीमे 10 दिवसीय निःशुल्क प्रशिक्षण शिविर सेहो चलौने छलीह।
अपन कलाक माध्यमसँ अलग पहचान बनेने राखी आब पीएचडी पूरा क’ अपन नामक आगाँ ‘डॉक्टर’ उपाधि जोड़बाक सपना देखैत छथि। हुनकर ई यात्रा देखबैत अछि जे सीमित साधनक बावजूद मेहनत, लगन आ सही मार्गदर्शनसँ पैघ लक्ष्य हासिल कयल जा सकैत अछि।
मिथिलाक कला, संस्कृति आ प्रतिभासभक प्रेरणादायक खबर पढ़बाक लेल जुड़ल रहू मिथिलानीक संग।
