मिथिलानी न्यूज डेस्क | मधुबनी
बेटीसभक पढ़ाइकेँ बढ़ावा देबाक लेल बिहार सरकार एकटा महत्वपूर्ण पहल कयने अछि। पिछड़ा वर्ग आ अति पिछड़ा वर्ग कल्याण विभाग राज्यक 39 अन्य पिछड़ा वर्ग (ओबीसी) कन्या आवासीय प्लस टू उच्च विद्यालयमे शैक्षणिक सत्र 2027-28 लेल नामांकन प्रक्रिया शुरू क’ देने अछि। एहि विद्यालयसभमे चयनित छात्रासभकेँ निःशुल्क शिक्षा आ रहबाक सुविधा देल जायत। नामांकन लेल ऑनलाइन आवेदन 5 नवंबरसँ शुरू भ’ गेल अछि। इच्छुक छात्रा 29 नवंबर तक आवेदन क’ सकैत छथि।
1604 रिक्त सीट पर होयत नामांकन
विभागीय जानकारीक अनुसार, राज्यक 39 विद्यालयमे कुल 1604 रिक्त सीट पर नामांकन लेल आवेदन मँगाओल गेल अछि। एहि सीटसभक विवरण एहि प्रकार अछि—
- वर्ग 6: 1560 सीट
- वर्ग 7: 16 सीट
- वर्ग 8: 12 सीट
- वर्ग 9: 16 सीट
प्रवेश लेल 17 जनवरी 2027 केँ परीक्षा आयोजित कयल जायत। प्रवेश पत्र 11 जनवरी केँ जारी होयत। परीक्षाक परिणाम 5 फरवरी केँ घोषित कयल जायत आ मेधा सूची 12 फरवरी केँ प्रकाशित होयत।
चयनित छात्रासभक नामांकन 15 फरवरीसँ 27 फरवरी 2027 तक कयल जायत। नव शैक्षणिक सत्रक कक्षा 1 अप्रैल 2027 सँ शुरू होयत।
100 अंकक होयत प्रवेश परीक्षा
नामांकन लेल होबयवला प्रवेश परीक्षा 100 अंकक वस्तुनिष्ठ परीक्षा होयत। एहिमे हिंदी, अंग्रेजी, गणित, विज्ञान आ सामाजिक विज्ञान विषयसँ 20-20 अंकक प्रश्न पूछल जायत।
छात्रासभक चयन प्रवेश परीक्षामे प्राप्त अंकक आधार पर तैयार मेधा सूची अनुसार कयल जायत।
आयु आ अभिभावकक आमदनी क शर्त
नामांकन लेल छात्रासभक आयुक गणना 1 अप्रैल 2027 केँ आधार मानि कयल जायत। अलग-अलग वर्गमे प्रवेश लेल आयु सीमा एहि प्रकार निर्धारित अछि—
- वर्ग 6: 10 सँ 13 वर्ष
- वर्ग 7: 11 सँ 14 वर्ष
- वर्ग 8: 12 सँ 15 वर्ष
- वर्ग 9: 13 सँ 16 वर्ष
एकर अतिरिक्त, छात्राक अभिभावकक वार्षिक आमदनी 3 लाख टकासँ बेसी नहि होयबाक चाही।
ऑनलाइन आवेदन लेल जरूरी कागजात
इच्छुक छात्रा विभागक आधिकारिक पोर्टल bcebcbonline.bihar.gov.in पर जा क’ ऑनलाइन आवेदन क’ सकैत छथि।
आवेदन करैत समय निम्नलिखित कागजात अपलोड करब अनिवार्य अछि—
- जाति प्रमाण-पत्र
- आय प्रमाण-पत्र
- आवासीय प्रमाण-पत्र
- पासपोर्ट साइज फोटो
- हस्ताक्षर
विभाग स्पष्ट कयने अछि जे प्रवेश परीक्षा आ नामांकनक पूरा प्रक्रिया निःशुल्क अछि।
आर्थिक रूपसँ कमजोर परिवारक बेटीसब लेल अवसर
सरकारक एहि पहलसँ आर्थिक रूपसँ कमजोर परिवारक बेटीसबकेँ गुणवत्तापूर्ण शिक्षा आ आवासीय सुविधा भेटबाक अवसर उपलब्ध होयत। निःशुल्क पढ़ाइ आ रहबाक व्यवस्था हुनकर शिक्षाक बाटमे आर्थिक बाधा कम करबाक संग आगू बढ़बाक अवसर प्रदान क’ सकैत अछि।
बिहार सरकारक एहि नामांकन प्रक्रिया संबंधी जानकारी आ मिथिलाक अन्य महत्वपूर्ण खबर लेल पढ़ैत रहू मिथिलानी।
