मिथिलानी न्यूज डेस्क | बेनीपुर (दरभंगा)
दरभंगाक बेटी नेहा चौधरी अपन खेल प्रतिभा आ मेहनतक बल पर देश सेवाक बाट चुनलनि। बेनीपुर प्रखंडक पोखराम गामक निवासी नेहा वर्ष 2011 मे नेशनल हाईजंप प्रतियोगितामे स्वर्ण पदक जीतने रहथि। खेल कोटासँ वर्ष 2014 मे हुनकर चयन केंद्रीय रिजर्व पुलिस बल (CRPF) मे भेल। हुनकर ई उपलब्धि आइ ग्रामीण परिवेशक बेटीसब लेल प्रेरणाक स्रोत बनल अछि।
लगातार दू वर्ष राष्ट्रीय स्तर पर जीतलनि स्वर्ण पदक
नेहा चौधरी वर्ष 2010 मे झारखंडक पूर्वी क्षेत्रमे आयोजित हाईजंप रीजनल चैंपियनशिप मे शानदार प्रदर्शन करैत स्वर्ण पदक अपन नाम कयने रहथि।
एकर बादो ओ अपन मेहनत आ अभ्यास जारी रखलनि। वर्ष 2011 मे आयोजित नेशनल हाईजंप प्रतियोगितामे सेहो स्वर्ण पदक जीतलनि। लगातार दू वर्ष धरि स्वर्ण पदक हासिल कय ओ अपन खेल प्रतिभा आ लगनक परिचय देलनि।
जमशेदपुरसँ कयलनि पढ़ाइ
नेहा अपन स्कूली शिक्षा झारखंडक जमशेदपुर स्थित डी बी एम एस स्कूल सँ प्लस टू तक पूरा कयलनि। पढ़ाइक संग-संग खेलक गतिविधिमे सेहो ओ खूब सक्रिय रहैत छलीह। विद्यार्थी जीवनसँ खेलक प्रति हुनकर रुचि आ मेहनत हुनका अलग पहचान देलक।
खेलमे हासिल उपलब्धिक आधार पर वर्ष 2014 मे हुनकर चयन केंद्रीय रिजर्व पुलिस बल (CRPF) मे भेल। तखनहि सँ ओ वर्दी पहिर देशसेवामे अपन योगदान दैत आबि रहल छथि।
शिक्षक परिवारसँ रखैत छथि संबंध
नेहाक पिता विमलेश चौधरी आ माता कंचन देवी दुनू शिक्षक छथि। बेटी केँ राष्ट्रीय स्तर पर खेलमे सफलता भेटला आ CRPF मे चयन भेलासँ पूरा परिवार गौरवान्वित अछि। पोखराम गामक लोकसभ सेहो हुनकर उपलब्धि पर गर्व करैत छथि।
नेहाक जीवन यात्रा ई देखबैत अछि जे ग्रामीण परिवेशक बेटियो मेहनत, आत्मविश्वास आ परिवारक सहयोगसँ राष्ट्रीय स्तर पर अपन पहचान बना सकैत छथि।
देशसेवाक अवसरकेँ मानैत छथि सौभाग्य
अपन सफलताक चर्चा करैत नेहा कहलनि, “हाईजंप प्रतियोगिता मे स्वर्ण पदक जीतब हमर जीवनक बहुत गर्वक क्षण छल। एहि उपलब्धि लेल हम खूब मेहनत आ अभ्यास कयने रही।
वर्ष 2014 मे CRPF मे शामिल भेलाक बाद हमरा देशसेवा करबाक जे अवसर भेटल, से हम अपन सौभाग्य मानैत छी। हमर दृढ़ विश्वास अछि जे आइ प्रत्येक बेटीक अपन सपना पूरा करबाक पूरा अवसर भेटबाक चाही।”
नेहा चौधरीक सफलता एहि बातक प्रेरक उदाहरण अछि जे अवसर आ परिवारक प्रोत्साहन भेटला पर गाम-घरक बेटियो अपन प्रतिभासँ देश आ समाजमे गौरव बढ़ा सकैत छथि।
एहने प्रेरणादायक खबर आ मिथिलाक गौरवगाथा पढ़बाक लेल जुड़ल रहू मिथिलानीक संग।
