मिथिलानी न्यूज डेस्क। शारदीय नवरात्रिमे दुर्गा अष्टमीक विशेष महत्व अछि। एहि पावन अवसर पर मां दुर्गाक आठम स्वरूप मां महागौरीक पूजा-अर्चना कयल जाइत अछि। एहि साल 18 अक्टूबर, रविदिन दुर्गा अष्टमी मनाओल जाएत।
दुर्गा अष्टमीक शुभ अवसर पर अहूँ अपन मित्र, संबंधी आ प्रियजनसभकेँ शुभकामना संदेश पठा सकैत छी। एतय देल गेल भक्तिपूर्ण संदेशसभकेँ WhatsApp, Facebook, Instagram आ अन्य सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर साझा क’ अपन शुभकामना व्यक्त करू।
1. मां दुर्गाक कृपा बनल रहय
मां दुर्गा अहाँक जीवनसँ सभ दुख आ परेशानी दूर करथि।
अहाँक घरमे सुख-समृद्धि बनल रहय आ प्रत्येक दिन खुशियेसँ भरल रहय।
दुर्गा अष्टमीक पावन पर्व पर हार्दिक शुभकामना!
2. मां महागौरी पूरा करथि सभ मनोकामना
मां महागौरीक कृपासँ अहाँक जीवनमे सुख, शान्ति आ समृद्धि आबय।
अहाँक सभ अधूर सपना पूरा होअय आ परिवारमे प्रेम आ खुशहाली बनल रहय।
अहाँ आ अहाँक परिवारकेँ दुर्गा अष्टमीक बहुत-बहुत शुभकामना!
3. हर घरमे खुशिये क उजास हो
दुर्गा अष्टमीक पावन दिन अहाँक जीवनमे नव आशा आ खुशियाँ लाबय।
मां दुर्गाक आशीर्वाद अहाँक परिवार पर सदिखन बनल रहय आ जीवनक प्रत्येक बाट मंगलमय हो।
शुभ दुर्गा अष्टमी! जय माता दी!
4. मायक आशीर्वाद सँ जीवन मे बहार आबय
मां दुर्गा अहाँकेँ प्रत्येक संकटसँ लड़बाक शक्ति दिअथि।
अहाँक मनमे विश्वास आ साहस जगाबथि आ जीवनकेँ खुशियेसँ भरि दिअथि।
अहाँक घरमे सदिखन मंगल आ समृद्धि बनल रहय।
दुर्गा अष्टमीक हार्दिक बधाई!
5. भक्ति आ आस्थाक पावन पर्व
मायक चरणमे कयल गेल अहाँक प्रत्येक प्रार्थना सफल हो।
अहाँक मोनकेँ शान्ति भेटय आ जीवनमे प्रेम, सद्भाव आ अपनापन बनल रहय।
मां दुर्गाक कृपासँ अहाँक परिवारमे खुशियेक बरखा होइत रहय।
दुर्गा अष्टमीक हार्दिक शुभकामना!
6. मां दुर्गा आसान करथि प्रत्येक कठिनाइ
“जखन माथ पर मायक हाथ होइत अछि, तखन कठिन बाट सेहो आसान बुझाइत अछि।”
मां दुर्गा अहाँक जीवनसँ निराशा दूर करथि आ सफलता आ उन्नतिक नव बाट खोलथि।
अहाँक जीवनमे साहस, विश्वास आ सकारात्मकताक संचार हो।
दुर्गा अष्टमीक ढेर रास शुभकामना! जय माता दी!
मिथिलानीक संग जुड़ल रहू! 🙏🌺
अहाँ सभकेँ दुर्गा अष्टमीक हार्दिक शुभकामना। मां महागौरी सभक जीवनमे सुख, शान्ति आ समृद्धि अनथि। एहि शुभकामना संदेशकेँ अपन परिवार आ मित्रसभक संग साझा करू आ मिथिलाक संस्कृति, परंपरा आ ताजा खबरिसभ लेल मिथिलानी पढ़ैत रहू।
जय माता दी! 🚩
