मिथिलानी न्यूज डेस्क | हाजीपुर

हाजीपुरक औद्योगिक क्षेत्र थाना अंतर्गत राजपूत नगर रोड नंबर-2 मे दीपावलीक राति खुशीक माहौल मातममे बदलि गेल। पति-पत्नीक बीच चलि रहल विवादक दौरान पति राकेश कुमार अपन 48 वर्षीय पत्नी नीलू सिंहकेँ लाइसेंसी पिस्टलसँ गोली मारि हत्या क’ देलनि। घटनाक बाद पूरा मोहल्लामे अफरा-तफरी मचि गेल। मृतकाक परिजनक रो-रो क’ बुरा हाल अछि।

मृतकाक पहचान राकेश कुमारक पत्नी नीलू सिंहक रूपमे भेल अछि। घटनाक सूचना भेटिते पुलिस घटनास्थल पर पहुँचि शवकेँ अपन कब्जामे लेलनि आ पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल, हाजीपुर पठा देलनि। पुलिस मामलाक जाँच-पड़तालमे जुटल अछि।

बेटा नहि होयबाक बात पर होइत छल विवाद

मिठल जानकारीक अनुसार, पति-पत्नीक बीच पछिला कतेको महिनासँ विवाद चलि रहल छल। स्थानीय लोकसभक कहब अछि जे दंपतीकेँ एकटा बेटी छलनि। बेटा नहि होयबाक बातकेँ ल’ पति-पत्नीक बीच अक्सर विवाद होइत छल।

आरोप अछि जे एहि विवादक कारण रवि दिन राति राकेश कुमार अपन पत्नी नीलू सिंहक माथमे गोली मारि देलनि। गोली माथकेँ पार क’ निकलि गेल, जाहिसँ घटनास्थले पर हुनकर मृत्यु भ’ गेल।

गोलीक आवाज सुनि जुटल मोहल्लाक लोक

गोलीक आवाज सुनिते आसपासक लोक घटनास्थल पर पहुँचला तँ महिला खूनसँ लथपथ पड़ल छलीह। किछुए देरमे ओतय स्थानीय लोकसभक भीड़ जुटि गेल।

घटनाक बाद आरोपी पति सहित घरक सभ सदस्य फरार भ’ गेलाह। पुलिस मामलाक विभिन्न पहलु पर जाँच क’ रहल अछि।

करीब 20 वर्ष पहिने भेल छल विवाह

बताओल जा रहल अछि जे राकेश कुमारक पैतृक घर महनार थाना क्षेत्रक महिनदवारा गाममे अछि। ओतहि बलि गाम थाना क्षेत्रक अग्रैल निवासी चंद्रशेखर सिंह अपन बेटी नीलू सिंहक विवाह करीब 20 वर्ष पहिने राकेश कुमारक संग करौने छलाह।

पुलिस घटनाक कारण आ पूरा परिस्थिति पता लगयबाक लेल जाँचमे जुटल अछि।

बिहारक अपराध, प्रशासन आ जनसरोकारसँ जुड़ल ताजा खबर लेल पढ़ैत रहू मिथिलानी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *