mithilani

मिथिलानी न्यूज डेस्क। दरभंगाक स्थानीय उद्यमी आ सूक्ष्म, लघु एवं मध्यम उद्यम (MSME) सभकेँ अंतरराष्ट्रीय बाजारसँ जोड़बाक दिशा मे पहल शुरू कयल गेल अछि। एहि उद्देश्यसँ उद्योग विभागक ओरसँ बुधदिन जिला उद्योग केंद्रमे निर्यात जागरूकता कार्यशालाक आयोजन कयल गेल। रेजिंग एंड एक्सीलरेटिंग एमएसएमई परफॉर्मेंस (RAMP) योजनाक तहत आयोजित एहि कार्यशालामे उद्यमी सभकेँ निर्यात प्रक्रिया, आवश्यक औपचारिकता आ उपलब्ध सुविधासभक जानकारी देल गेल।

अंतरराष्ट्रीय बाजारमे स्थानीय उत्पादक पहचान बनयबाक उद्देश्य

कार्यशालाक अध्यक्षता जिला उद्योग केंद्रक प्रभारी सुरुचि कुमारी कयलनि। ओ एक्सपोर्ट प्रमोशन मिशनक संग-संग विदेश व्यापार महानिदेशालय (DGFT), एपीडा (APEDA) आ ईपीसीएच (EPCH) क भूमिकापर विस्तारसँ जानकारी देलनि।

ओ कहलनि जे दरभंगाक स्थानीय उत्पादमे अंतरराष्ट्रीय स्तरपर पहचान बनेबाक पर्याप्त क्षमता अछि। उद्यमी सही जानकारी आ जरूरी प्रक्रिया पूरा क’ अपन कारोबारक विस्तार अंतरराष्ट्रीय बाजार धरि क’ सकैत छथि।

बैंकिंग आ वित्तीय समस्यापर भेल चर्चा

कार्यशालामे एलडीएम विकास कुमार उद्यमीसभक संग बैंकिंग सहयोग आ वित्तीय समस्या सभक समाधानपर चर्चा कयलनि। ओ कारोबारक विस्तारमे बैंकिंग सुविधाक महत्व आ वित्तीय सहयोगसँ जुड़ल विभिन्न पहलूसभक जानकारी देलनि।

डाक निर्यात केंद्रक सुविधासँ कराओल गेल परिचित

डाक निर्यात पदाधिकारी धीरज कुमार आ विद्यानंद डाक निर्यात केंद्रक माध्यमसँ उपलब्ध कराओल जा रहल सुविधासभक जानकारी देलनि।

ओ उद्यमी सभ केँ शत-प्रतिशत जीएसटी प्रतिपूर्ति, लॉजिस्टिक सहयोग आ फास्ट पिक-अप सन सुविधा सभक बारे मे बतौलनि। एहि जानकारी सँ स्थानीय उद्यमीसभकेँ अपन उत्पाद विदेश भेजबाक प्रक्रिया आ उपलब्ध सहायताक संबंधमे बुझबाक अवसर भेटलनि।

खाद्य प्रसंस्करण, कपड़ा आ हस्तशिल्पक निर्यातपर जानकारी

पटना सँ आएल RAMP क निर्यात सलाहकार ऋषु राज पीपीटीक माध्यमसँ निर्यातसँ जुड़ल आवश्यक औपचारिकता आ प्रक्रिया बुझौलनि।

ओ खाद्य प्रसंस्करण, टेक्सटाइल आ हस्तशिल्प क्षेत्रक उत्पादसभक निर्यात प्रक्रिया पर विस्तारसँ जानकारी देलनि। कार्यशालाक मुख्य उद्देश्य स्थानीय उद्यमी सभकेँ अंतरराष्ट्रीय बाजार मे उपलब्ध अवसर सँ परिचित करेनाइ आ हुनकर कारोबार केँ वैश्विक स्तरपर पहुँचय बाक दिशा मे सहयोग करेनाइ छल।


मिथिलानीक संग जुड़ल रहू!

दरभंगा आ मिथिलाक व्यापार, रोजगार, उद्योग, सरकारी योजना आ स्थानीय गतिविधिसभक ताजा जानकारी लेल मिथिलानी पढ़ैत रहू। एहि खबरिकेँ स्थानीय उद्यमी आ अपन मित्रसभक संग साझा करू।

मिथिलानी – मिथिलाक अपन आवाज।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *