मिथिलासं ल क दुनिया भरिक कोन कोन धरि स्थित मिथिलानी लोकनिक पहिल ग्लोबल जुटान इंटरनेशनल वीमेंस मिथिला सम्मिट 13 नवंबर कें वर्चुअल माध्यमसं सम्पन्न भेल। विविध क्षेत्रमे उल्लेखनीय काज केनिहारि मिथिलानी सभक नेतृत्वमे चारि सयसं बेशी प्रतिभागी लोकनि एहि सम्मिटमे प्रतिभागिता कएलन्हि। अनेक शिक्षाविद, राजनेता, ब्यूरोक्रेट, डॉक्टर, इंडस्ट्री लीडर्स, कल्चरल लीडर्स आदिक सहभागिताक बीच विमर्शक केंद्रबिंदु छल जे बिहार, खास क मिथिलाकें कोना सुदृढ़ आ सक्षम बनाओल जाए।
कार्यक्रमक मुख्य अतिथि आ भारत सरकारक शिक्षा राज्य मंत्री अन्नापूर्णा देवी यादव अपन उद्घाटन संबोधनमे आश्वस्त कएलन्हि जे मिथिलाक विकास कें प्राथमिकता देल जाओत। उत्तराखंडक सचिव श्रीमती राधिका झा कहलन्हि जे बिहारक आर्थिक विकासमे सबसं महत्वपूर्ण भूमिका शिक्षाक अछि आ एहन प्रयास हेबाक चाही जे कोना सरकारी योजना सभक सहायतासं सामाजिक सूचकांक कें आओर बेहतर बनाओल जाए। उद्घाटन सत्रमे पद्मश्री दुलारी देवी, पद्मश्री ऊषा किरण खान, पद्मश्री गोदावरी दत्ता, डॉ. रागासुधा विंजामुरी, आ डॉ. सविता झा खान सेहो अपन अनुभव आ मिथिलाक समाजक वर्तमान स्थिति पर चर्चा कएलन्हि।
इंटरनेशनल मैथिल डायसपोरा कंसोर्टियम द्वारा जर्मनीक फ्रैंकफर्ट कॉन्सुलेट केर सहयोगसं आयोजित एहि कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल आ देश-विदेशमे मिथिला-मैथिलीक कल्याण लेल सक्रिय दर्जनों संस्था सभ सेहो एहि कार्यक्रममे सहयोग कएलन्हि। जर्मनी स्थित शाकत्य ई वी, रेडियो प्रसारण संस्था बीएमएम, दिल्ली स्थित अखिल भारतीय मिथिला संघ, यू-कैटपुल्ट, मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल, सखी-बहिनपा मैथिलानी समूह, मिथिलानी वेब पोर्टल, ऑर्गेनिक सत्व, दूर्वाक्षत मिशन मिथिलाक्षर, मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान, संस्कृति, मॉडेल गाँव, मधुर मैथिली आ अनेक आन संस्था एहि कार्यक्रममे सक्रिय रूपें सहभागी रहल।
कार्यक्रममे तीन टा महत्त्वपूर्ण चर्चा सत्रक आयोजन भेल जाहिमे मिथिलाक आर्थिक विकास, शिक्षा, सामाजिक बदलाव, सांस्कृतिक विकास, उद्यमिता आ आन गहीर विषय सभ पर विचार विमर्श भेल। एहि कार्यक्रमक दर्शक लोकनिक बीच प्रवासी मैथिल लोकनिक व्यापक उपस्थिति रहल। इंटरनेशनल मिथिला डायसपोरा कंसोर्टियम प्रयासरत अछि जे बिहार सरकार प्रवासी मैथिल लोकनिकें संग ल क राज्यक विकासकें आगू बढ़ाबय केर रस्ता ताकय। अंतराष्ट्रीय मिथिला डायसपोरा सम्मिट में उपस्थित प्रतिभागी लोकनि अपन व्यक्तिगत आ व्यावसायिक क्षमतासं राज्यक विकास गाथामे एखनो महत्वपूर्ण सहयोगी बनल छथि।
अमरीका में बीस बरखसं डॉक्टरी कएनिहारि डॉ कुक्कू चौधरी कहलन्हि जे स्वास्थ्य क्षेत्र में विशेष निवेश केर आवश्यकता अछि आ प्रवासी डॉक्टर लोकनि टेलीमेडिसिन केर सहायतासं अपन राज्यमे चिकित्सकीय सहायता देबाक लेल इच्छुक छथि। कोविडक मध्य मिथिलाक गाम गाम धरि बुतरु सभकें पढ़ाबय केर दायित्व निर्वाह केनिहार संस्था Ucatapult केर फाउंडर प्रेमा मिश्रा कहलन्हि जे राज्य और देश केर समग्र विकास हेतु नेन्ना-भुटका सभक नीक पढ़ाइ आवश्यक अछि आ UCatapult एहि प्रयासमे अछि जे हर बच्चा कें निशुल्क शिक्षा भेट सकय।
साहित्य अकादमी अवॉर्डी डॉ. शेफालिका वर्मा, राष्ट्रपति पुरस्कारसं सम्मानित शिक्षिका चंदना दत्त, अभिनेत्री रोशनी झा, उद्यमी प्रियंका झा आ अनेक आन जगजियार मिथिलानी लोकनि एहि कार्यक्रम कें संबोधित कएलन्हि। संगहि समिका झा, दीया झा-जिया झा, कीतिका झा, मान्या झा आदि सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएलन्हि। जर्मनी स्थित मैथिल ललना लोकनि सामूहिक नृत्य सेहो प्रस्तुत कएलन्हि।
इंटरनेशनल मैथिल डायसपोरा कंसोर्टियम गत 18 मासमे विशेष रूपसं सक्रिय अछि। कंसोर्टियम केर एकमात्र लक्ष्य मिथिलाक समग्र विकास हेतु व्यक्तिगत और संस्थागत समर्थन एकत्र करब अछि। एखन धरि, अंतराष्ट्रीय मैथिल डायसपोरा अनेक प्रभावी कार्यक्रम सभक आयोजन कयलक अछि।