Category

भजन

Category

माँ गै कोना सुतल छां मखमली चद्दैईर ताईन गै
बेटी छौ परेशान गै ना 2

गेलिअऔ गागर लs कs सागर, भेटलौ कनियों नै गंगाजल 2
माँ गै कोना पखारब
गै माँ कोना पखारब
तोहर सुन्दर पैर गै………
बेटी छौ परेशान गै ना
माँ गै कोना…….

गेलिअऔ डाली लs फुलबाड़ी,नै भेटलौ अड़हुलक झाड़ी 2
माँ गै कोना बनायब
गै माँ कोना बनायब
तोहर सुन्दर हार गै
बेटी छौ परेशान गै ना
माँ गै कोना………

गेलिअऔ पनवट्टी लs पनबाड़ी, नै भेटलौ पानक डाली 2
माँ गै कोना रंगायब
गै माँ कोना रंगायब
तोहर सुन्दर ठोर गै
बेटी छौ परेशान गै ना

दहीन ममता के कनि ज्ञान,छोट बात सँ छौऊ परेशान 2
माँ गै डुबल नैया के
गै माँ डुबल नैया के
तुहीं लगेबहीन पार गै
बेटी छौ परेशान गै ना

माँ गै कोना सुतल छां मखमली चद्दैईर ताईन गै…
बेटी छौ परेशान गै ना….

error: Content is protected !!