समाद

सामा-चकेबा उत्सव : चित्रावली प्रतियोगिता (अपन सामाक फोटो/वीडियो पठाबी)

सामा-चकेबा मिथिलाक एकटा अनुपम उत्सव थिक। एहि उत्सव कें भाय-बहिनक स्नेहक प्रतीक मानल जाइत अछि। एहि उत्सवक अवसर पर www.mithilani.in चित्रावली प्रतियोगिता आयोजन क रहल अछि।

प्रतियोगिता लेल चित्र/वीडियो दिनांक 02 दिसम्बर 2012 कें राति 12 बजे धरि ईमेल सं mithilani.in@gmail.com पर वा फेसबुक सं मिथिलानी पोर्टल केर पेज ( https://www.facebook.com/mithilaniportal )केर मैसेज बॉक्स मे पठाओल जा सकैछ। प्रतियोगितामे प्राप्त श्रेष्ठ प्रविष्टि सभकें आकर्षक उपहार आ प्रमाण-पत्र प्रदान कएल जाओत।

प्रतियोगिताक नियम सभ निम्नलिखित अछि:

1. चित्र/वीडियो horizontal/landscape चित्रित हेबाक चाही अर्थात् कैमरा चौलाइ मे राखि क क्लिक हेबाक चाही। चित्र मे सामूहिक आयोजन परिलक्षित होय, से बेशी नीक।
2. पठाओल प्रविष्टि मे सामा-चकेबा, चुगला, सामाक भसानक बेड़ आदि, एहि आयोजनक प्रतीक सभ प्रमुखता सं एबाक चाही। व्यक्ति गौण रहबाक चाही।
3. एक व्यक्ति मात्र एक फोटोग्राफ आ एक वीडियो एहि प्रतियोगिता लेल भेज सकैत छथि। एक सं बेशी प्रविष्टि पर विचार नहि होयत। 4. पठाओल फोटो/वीडियो एही बरखक आयोजनक हेबाक चाही।
5. प्रविष्टिक संग, प्रेषक केर नाम, पता, मोबाइल नंबर आ क्लिक करबाक तिथि इत्यादिक उल्लेख आवश्यक अछि।
6. प्रतियोगिता में पठाओल वीडियो/फोटोग्राफ कतहु आन ठाम शेयर नहि कएल जाए। यदि कोनो प्रविष्टि आन ठाम (व्हाट्सएप/फेसबुक ग्रुप धरि) पाओल जाएत तँ, ओ प्रतियोगिता सँ बाहर मानल जाओत। 
7. सांस्कृतिक विमर्श लेल www.mithilani.in भविष्यमे एही सामग्री सबहक प्रयोग राष्ट्रीय अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर पत्र-पत्रिका/समाचार/मीडियामे वा कोनो आन रूपमे करबाक लेल स्वतंत्र रहत।
8. सर्वश्रेष्ठ फोटोग्राफ / वीडियो कें www.mithilani.in दिश सं आकर्षक उपहार संग प्रशस्ति पत्र देल जाओत।


प्रविष्टि पठेबाक पता : ईमेल : mithilani.in@gmail.com, फेसबुक : https://www.facebook.com/mithilaniportal

Write A Comment

error: Content is protected !!